Friday, 5 April 2024

अभूतपूर्व

११ म शताब्दीक कश्मीर मे एकटा संस्कृत कवि पंडित भेलाह #विल्हण ! प्रेमक कवि छलाह। प्रेम कविता रचैत छलाह आ प्रेम करैत छलाह। हिनकर एकटा रचना #चौरपंचाशिका प्रेमकाव्यक अपूर्व उदाहरण अछि। एहिमे गुप्त प्रेम सँ संबंधित पचास टा श्लोक अछि। तत्कालीन राजाज्ञा सँ हिनका मृत्युदंड भेटल छलनि। अपराध की ? तs काव्य प्रणयन करब, काव्यमे प्रयुक्त प्रेमाभिव्यक्ति सँ राजकन्याकें प्रभावित भ' गेनाइ आ एकदिसाह प्रेमक असरि दोसरो दिस भ' गेनाइ ?

तँ विल्हण कें जखन वधशाला दिस लs गेल जा रहल छहल तs ओ सोचलनि, हम ईश्वर कें कियै स्मरण करू ! हमरा तँ अनन्य प्रेमसुख राजकुमारी प्रेयसी रतिलेखा सँ भेटल अछि ! तैं ओ मृत्युक वरण करैत जाइत काल अपन गीतिकाव्य गबैत जा रहल अछि, जाहिमे रतिलेखा एवं ओकर गुप्तप्रेमक रसमयी दृश्यात्मक श्रृंगारिक पद अछि। राजा स्तब्ध एहि प्रेमीक निडरता आ निष्ठा देखिकें। क्षमादानक विकल्प विल्हण स्वयं नष्ट करैत जा रहल अछि। अंत मे विल्हण कहैत अछि -------

पञ्चतत्वं तनुरेतु भूत निवह: स्व स्वं शित्वालयं 
या  चित्वा  द्रुहिण प्रणम्य   शिरसाभूपछिंदवपु ।
तद्वापोषु पयस्तदोय मुकुरम ज्योतिस्त दीपांगणे
व्योक्तिव्योम तदीयवत्मनिधरा तत्तालवृंतऽनिलम्।।

【 हे ब्रह्म ! हमर अंतिम प्रार्थना यैह अछि 
कि हमर शरीरक जलतत्व ओहि सरोवरमे राखब
जाहिमे ओ स्नान करैत हो
प्रकाश ओहि दर्पण मे,
आकाश ओकर आंगन मे
पृथ्वी ओकर पथ पर जहिपर पर ओ चलए,
पवनांश ओकर हाथक बिअनिमे जोगा देब !】
                    ◆◆◆
💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝
■ईशनाथ झा